पुरवा - पछवा डोलि रहल अछि
सिहके हमर मोन यौ
माय -बाप के हम दुलारी ,
सायं हमर कठोर यौ ; दिन -राति हम गिनैत छि
कहिया हेतय भोर यौ ; जरल - पजरल मोन रहयत अछि ,
दिन हमर अनमोल यौ गाछ - पात डोलि रहल अछि ,
चहके हमर मोन यौ ; कंकर - झुटका फेक रहल छि ,
मोन करे हिलकोर यौ I
No comments:
Post a Comment